अपनेक स्वागत अछि।

Friday, April 30, 2010

कलर्स पर चक धूम धूम

र्स चैनल पर आइ सं चक धूम धूम कार्यक्रम शुरु भ रहल अछि। बच्चा सभहक एहि डांस रिएलिटी शो के विजेता के बेस्ट जूनियर डांसिंग स्टार घोषित कएल जेतैक। कार्यक्रम मे,5 सं 14 बरख धरिक बच्चा सभ शामिल भ रहल अछि। जज बनल छथि सरोज खान,अहमद खान (नृत्य निर्देशक) आ विंदू दारा सिंह। मुंबई मे जबर्दस्त ऑडिशन आ स्क्रीनिंग के बाद,कार्यक्रमक लेल 40 बच्चा के चुनल गेल छैक। डांस गुरु बोस्को आ सीजर एहि कार्यक्रमक लेल बच्चा सभ कें तैयारी करओताह। एंकरिंग करतीह सलोनी डैनी। बाद मे,बिग बॉस सं चर्चित भेल प्रवेश राणा सेहो होस्ट करताह। कार्यक्रमक प्रसारण प्रत्येक शुक्र आ शनि कए राति नौ बजे सं हएत।