अपनेक स्वागत अछि।

Friday, April 09, 2010

टाटा आ नोकिया कें म्यूजिक फीचर

आब ककरो फोन करितो काल अहां अपन मनचाहा गीत सुनि सकब। एहि लेल टाटा डोकोमो माई सॉन्ग फीचर शुरू कएने अछि। एकर अंतर्गत, एखन धरि इएह होइत छल जे जकरा फोन कएल जाइत छल,ओकरे फोन में सेट रिंग टोन सुनाई दैत छलैक(जं सेट हुअए तं)। भारत में एहि तरहक सेवा पहिल बेर पेश कएल गेल अछि। ई सुविधा कंपनी के प्रीपेड आर पोस्टपेड दुनू तरहक उपभोक्ता कें भेटतनि। एहि लेल ग्राहक कें ५४३२१७ डायल कए मनपसंद गीत चुनए पड़तनि। ग्राहकों को अलग-अलग लोक सभकें कॉल करए लेल अधिकतम तीन गाना सेट क सककब। खर्चा पड़त १५ रुपए मासिक शुल्क आ २ पैसे प्रति सेकेंड के दर सं शुल्क । प्रत्येक गाना कें डाउनलोड करबाक खर्च १० रुपया पड़त। प्रीपेड आर पोस्टपेड दर एक समान रहत।
ओम्हर, नोकिया सेहो म्यूजिक डाउनलोडिंग सुविधा कनेक अलग-अलग रूप मे शुरु कएलक अछि। नोकिया कें ई सेवा काल्हि सं चीन में शुरू भेल अछि आ भारत में शीघ्र शुरू कएल जाएत। नोकिया इहो कहलक अछि जे ऊ दुनिया भरि के पैघ ब्रांडक तहत संगीत डाउनलोड केर सुविधा उपलब्ध कराओत।