अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, April 27, 2010

नोकिया कें फ्री ई-मेल सेवा

मोबाइल कंपनी नोकिया काल्हि नोकिया सिंबियान उपकरण कें उपयोगकर्ता ग्राहकलोकनिक लेल मैसेज के साथ निशुल्क ई-मेल सेवा शुरू कएलक। कंपनी केर ई सेवा देश भरि कें नोकिया ग्राहक लेल उपलब्ध हएत। एहि लेल ग्राहक कें खाली बेसिक डाटा मात्र डाउनलोड करबाक शुल्क देमए पड़तनि। नोकिया, मैसेजिंग सेवा के तहत निशुल्क इंस्टेंट मैसेजिंग सेवा वला मोबाइल फोन सेहो आनत। कंपनी अत्याधुनिक सुविधाओं सं लैस आ सिंबियन-3 आधारित तीन टा स्मार्ट फोन आनबाक घोषणा कएलक। सुविधाजनक ई-मेल आर चैटिंग वला ई नोकिया किफायती फोन के मॉडल नम्बर सी-३, सी-६ आ ई-५ अछि। सी-३ एहि वर्ष केर दोसर तिमाही में पेश कएल जाएत आ एकर कीमत ९० यूरो (टैक्स छोड़ि कए) रहत। नोकिया सी-६ सेहो ओही समय आएत आ ओकर दाम २२० यूरो रहत। नोकिया ई-६ तेसर तिमाही में लांच कएल जाएत। एकर कीमत १८० यूरो रहत।