अपनेक स्वागत अछि।

Wednesday, April 21, 2010

शोध पत्रिका "अन्वेषिका" के वास्ते आलेख आमंत्रित

पटना के बीएन कालेज के वार्षिक शोध पत्रिका अन्वेषिका के वास्ते आलेख आमंत्रित अछि। प्राचार्य डा. राज किशोर प्रसाद कहलनि अछि जे कालेज के एहि प्रतिष्ठित हिंदी शोध-पत्रिका मे, शिक्षक, विद्वान आ छात्रलोकनि अपन योगदान द सकैत छथि। पत्रिका के वर्तमान अंक केर विमोचन एही वर्ष 6 अप्रैल कए भेल छल जाहिमें 32 शोघ पत्र प्रकाशित कएल गेल छल। महाविद्यालय प्रबंधन अगिला अंक के आओर उपयोगी आ संग्रहणीय बनएबाक प्रयास क रहल अछि।