अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, April 13, 2010

ट्वेंटी-२० विश्व कप हर दोसर साल

आब २०-२० विश्व कप हर दू साल पर आयोजित हएत। अंतर्राष्ट्रीय क्रिकेट परिषद् के मुख्य कार्यकारी लोर्गट दिल्ली में काल्हि कहलनि जे तेसर विश्व कप ३० अप्रैल सं वेस्ट इंडीज में शुरू हएत मुदा २०१० के बाद सं २०-२० विश्व कप कें आयोजन हर दू बरख पर हएत। लोर्गट स्वीकार कएलनि कि २०-२० तेजी सं लोकप्रिय भेल जा रहल अछि आर ई उम्मीद सं बहुत आगू निकलि गेल अछि। लोगार्ट स्पष्ठ कएलनि कि इंडियन प्रीमियर लीग (आईपीएल) कें, आईसीसी के भविष्य कदौरा कार्यक्रम (एफटीपी) में जगह नहि देल जएतैक। हुनकर कहब छलन्हि जे ई एक घरेलू टूर्नामेंट छैक एफटीपी केवल अंतरराष्ट्रीय क्रिकेट के लेल बनाओल गेल छैक । तें, आईपीएल कें एहि मे शामिल नहिं कएल जा सकैछ। लोर्गट एहि बात सं इन्कार कएलनि कि आईपीएल के कारणें विश्व कपक चमक मिझरा रहल छैक। हुनकर कहब छलन्हि जे इंग्लैंड में भेल पछिला २०-२० विश्व कप बेस सफल रहाल छल। हालैंड जखन इंग्लैंड कें उद्घाटन मैच में हरओलक तं रोमांच चरम पर छल। लोगार्ट कें मान्यता छन्हि जे "उलटे आईपीएल के कारणें क्रिकेटर पूरी तरह २०-२० के मूड में आबि जाइत छथि आ फेर आईपीएल कें फायदा २०-२० विश्व कप में देखबा में अबैत छैक। ओहुना,विश्व कप आईपीएल सं फराक छैक किएक तं एहि मे मुकाबला देशक बीच होइत छैक,टीमक बीच नहि।

लोर्गट कहलनि जे २०-२० कें फार्मेट लोकप्रियता के मामिला में उम्मीद सं बेस आगू निकलि गेलाक बादो,एहि सं टेस्ट आर वनडे कें कोनो खतरा नहि छैक। ओ इहो स्वीकार कएलनि जे वनडे में मास्टर ब्लास्टर सचिन तेंदुलकर के पहिल डबल सेंचुरी सं ई प्रारूप लोकप्रियता के शिखर पर पहुंच गेल अछि।