अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 08, 2010

दरभंगा,पटना,भागलपुर,मुजफ्फरपुर आ गया मे एसएसपी

आब राजधानी पटना के अलावे चारि टा आओर जिला मे एसएसपी के पद हएत। एसपी के पद अलग सं रहबे करतैक। परसू केंद्र सरकारक कार्मिक,प्रशिक्षण आ पेंशन विभाग एहि संबंध मे अधिसूचना जारी क देलक। पटना के अलावे मुजफ्फरपुर, भागलपुर, गया आर दरभंगा जिला मुख्यालय मे एसएसपी कें पद सृजित कएल गेल छैक । एहि अधिसूचना के बाद, बिहार में आईपीएस के पद बढ़िकए 231 भ गेल अछि। राज्य मे डीजी के संख्या सेहो बढाकए दू सं तीन क देल गेल अछि। आब डायरेक्टर जनरल आफ पुलिस (ट्रेनिंग) केर पद सेहो कैडर पोस्ट भ गेल अछि।