अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 15, 2010

सिंगापुर मे हिंदू मंदिर के जीर्णोद्धार

सिंगापुर कें सभसं पुरान हिंदू मंदिर कें 11 अप्रैल कए अभिषेक कएल गेल। एहि अवसर पर आयोजित भव्य समारोह मे राष्ट्रपति एसआर नाथन समेत २०,००० अतिथिलोकनि उपस्थित छलाह। वर्ष १८२७ मे बनल एहि मंदिर कें ४० लाख सिंगापुरी डॉलर सं जीर्णोद्धार कएल गेल छैक।

अभिषेक समारोह मध्य व्यावसायिक जिला मे भेल जतए पुजारीलोकनि श्री मरिअम्मन मंदिर के शिखर कें जलाभिषेक कएलनि। सिंगापुर के हिंदू दान बोर्ड के अनुसार,एहि मंदिर केर आंतरिक सज्जा लेल भारत के २० सं बेसी कलाकार लोकनि काज कएने रहथि।

एहि अभिषेक समारोहक बाद ४८ दिनों तक चलएबला सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रारंभ भेल। ज्ञातव्य जे सरकार द्वारा नियुक्त एहि बोर्ड के तहत सिंगापुर में २०टा हिंदू मंदिर अछि।