अपनेक स्वागत अछि।

Friday, April 30, 2010

टी-20 विश्वकप स्टार क्रिकेट पर रात्रि साढे दस बजे

तेसर ट्वेंटी-ट्वेंटी विश्वकप आई सं वेस्टइंडीज मे शुरू भ रहल अछि। टूर्नामेंट 16 मई तक चलत। कार्यक्रम पर एक नज़रिः
ग्रुप-ए टीमः
1.आस्ट्रेलिया
2.बांगलादेश
3.पाकिस्तान

ग्रुप-बी टीम
1.श्रीलंका
2.न्यूजीलैंड
3.जिम्बाब्वे

ग्रुप-सी टीम
1.दक्षिण अफ्रीका
2.भारत
3.अफगानिस्तान

ग्रुप-डी टीम
1.वेस्टइंडीज
2.इंगलैंड
3.आयरलैंड

कार्यक्रमक प्रसारण स्टार क्रिकेट चैनल पर राति मे अलग-अलग समय पर हएत। नोट करूः
30 अप्रैलःभारत-न्यूजीलैंडःरात्रि 10.30 बजे
30 अप्रैलःवेस्टइंडीज-आयरलैंडःरात्रि 2.30 बजे
01 मईःभारत-अफगानिस्तानःसंध्या 7 बजे
01 मईः पाकिस्तान-बांगलादेशःरात्रि 11 बजे
02 मईः दक्षिण अफ्रीका-भारतःसंध्या 7 बजे
03 मईः श्रीलंका-जिम्बाब्वेःसंध्या 7 बजे
03 मईः वेस्टइंडीज-इंग्लैंडःरात्रि 11 बजे
04 मईः न्यूजीलैंड-जिम्बाब्वेःसंध्या 7 बजे
04 मईः इंग्लैंड-आयरलैंडःरात्रि 11 बजे
05 मईः बांगलादेश-आस्ट्रेलियाःसंध्या 7 बजे
05 मईः दक्षिण अफ्रीका-अफगानिस्तानःरात्रि 11 बजे

6 मई सं सुपर-8 दौर के मैच शुरू हएत। ओहि समय पुनः अपडेट देब। भारत के टीम मे एहि बेर धोनी,गंभीर,मुरली विजय,सुरेश रैना,युवराज सिंह,यूसुफ पठान,हरभजन सिंह,रवींद्र जडेजा,जहीर खान,प्रवीण कुमार,आशीष नेहरा,विनय कुमार,दिनेश कार्तिक,रोहित शर्मापीयूष चावला हिस्सा ल रहल छथि। सचिन,सहवाग,यूनुस खान,रोबिन उथप्पा,शोएब मलिक आ पोंटिंग के जलवा एहि टूर्नामेंट मे नहि देख सकब। मैच सेंटलुसिया,गुयाना आ बारबाडोस मे हएत। पहिल विश्वकप 2007 मे भेल छल जे भारत जीतने छल। दोसर टूर्नामेंट 2009 मे भेल जे पाक जीतल।