अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, April 20, 2010

नीतीश स्पीक्स डॉट ब्लॉगस्पॉट डॉट कॉम

पछिला किछु समय सं ब्लॉगक लोकप्रियता देखि,आब अपन बात ब्लॉगक माध्यम सं रखबाक चलन बढल छैक। अमिताभ बच्चन जखन ब्लॉग पर आयल छलाह,तं लोक कें ई पतिआएब मोसकिल छलैक जे ओ अपने ब्लॉगिंग क रहल छथि आ कि केओ आओर हुनकर अनुमति सं ब्लॉग चला रहल छैक। मुदा आब ककरो आश्चर्य नहि होइत छैक। वाक्पटु अमरसिंह सेहो आब प्रेस कांफ्रेंस मे कम आ ब्लॉग पर बेसी गपियाइत छथि। एहि क्रम मे ताजा नाम अछि नीतीश कुमार कें। चुनाव लगिचायल देखि ओ संवाद आ लोकप्रियता जनबाक लेल एहन माध्यम चुनलनि अछि जाहि लेल महारैला के आह्वान करबाक जरूरति नहि छैक। हिंदुस्तान,पटना संस्करण केर खबरि देखूः