अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 29, 2010

वीर कुंअर सिंह आरा-छपरा महासेतु

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आरा आ छपरा के बीच गंगा नदी पर प्रस्तावित महासेतु के नामकरण वीर कुंअर सिंह के नाम पर करबाक घोषणा कएलनि अछि । नीतीश जी ई घोषणा काल्हि पटना के श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल में वीर कुंअर सिंह मेमोरियल सेवा एवं शोध संस्थान दिस सं आयोजित "वीर कुंअर सिंह शहादत स्मृति समारोह" मे कएलन्हि। हुनकर कहब रहनि कि कुंअर सिंह ब्रिटिश शासन के खिलाफ बिहारे टा के नहि अपितु पूरा देश कें जगओने छलाह । हुनका बिनु बिहार के आ बिहार बिनु भारत कें इतिहास अपूर्ण रहत । ओ इहो कहलनि जे स्वतंत्रता संग्राम में वीर कुंअर सिंह कें आदर्श सं युवा पी़ढ़ी के प्रेरणा लेबाक आवश्यकता छैक। स्वतंत्रता संग्राम मे बाबू कुंअर सिंह के योगदान उल्लेखनीय छल। "अस्सी बरसों की हड्डी में जागा जोश पुराना था,सब कहते है कुंअर सिंह भी बड़ा वीर मरदाना था'' पढि मोन आइयो गर्व सं भरि जाइत छैक।