अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 29, 2010

भोजपुरी लेखिका साहित्य कला परिषद् मे

भोजपुरी लेखिका आ संस्कृतिकर्मी श्रीमती वंदना श्रीवास्तव कें, दिल्ली कें साहित्य कला परिषद् के सदस्य बनाओल गेल छन्हि। दिल्ली के मुख्यमंत्री आ साहित्य कला परिषद् के अध्यक्ष श्रीमती शीला दीक्षित हुनका परिषद के सदस्य के रुप मे नामित कएलन्हि। श्रीमती वन्दना भोजपुरी के विख्यात भित्ति चित्रकार छथि। कला के क्षेत्र में ओ अपन तरहक भोजपुरी शैली विकसित कएने छथि । देश कें भोजपुरी चित्रकला शैली मे हुनक नाम अग्रगण्य छन्हि। श्रीमती वंदना विज्ञान आ कला दुनू विषय में शिक्षित छथि।