अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 22, 2010

एयरटेल पर 'लाइव आरती'

एयरटेल काल्हि सं "लाइव आरती" सेवा शुरू कएलक। एहि सेवा कें उपयोग कए मोबाइल फोन पर तिरुपति बालाजी, सिद्धि विनायक, शिरडी साई बाबा आर बंगला साहिब सन प्रतिष्ठित मंदिर कें लाइव आरती सुनि सकब। एकर प्रसारण सोझे पूजा स्थल सं हएत। एक समय के सदस्यताक वास्ते पांच रुपय्या लागत आर रोजाना सब्सक्रिप्शन के लेल दो रुपय्या रोज़। ई सेवा सम्पूर्ण भारत मे एयरटेल के ग्राहक कें भेटतनि।
जल्दीए,एहि सेवा मे गोल्डन टेंपल, वैष्णो देवी, काशी विश्वनाथ, हर की पौड़ी, पटना साहिब गुरुद्वारा आ पुरी कें जगन्नाथ मंदिर सं लाइव आरती सेहो उपलब्ध हएत।