अपनेक स्वागत अछि।

Monday, April 26, 2010

"इंडियन आइडल" शुरू

सोनी एंटरटेनमेंट टेलीविजन पर आइ सं इंडियन आईडल कार्यक्रम पांचम बेर शुरू भ रहल अछि। कार्यक्रम के प्रसारण सोम सं ब्रैस्पति तक राति 9 बजे सं हएत। जे गोटे गायन मे अपन करियर बनाबए चाहैत छथि हुनका लेल ई कार्यक्रम लाइफटाइम अवसर मानल जाइत छैक। प्रोग्राम के कैच लाइन छैकः करोड़ों मे एक आवाज बनेगी देश की आवाज़। पछिला बेर ई कार्यक्रम टीवी के सभसं लोकप्रिय कार्यक्रम बताओल गेल छल। कार्यक्रम मे उएह भाग ल सकैत छथि जनिकर आयु एहि बरख 1 फरवरी कए,15 सं 30 बरखक बीच हुअए। 18 बरख सं कम उमर बला कें अपना संग गार्जियन के आनए पड़तनि। ऑडिशन खाली हिन्दी मे हएत। एकर फारम ऑडिशने बला जगह पर भेटत आ तखनहि भरए पड़त। सभ प्रतिभागी के लेल जन्म प्रमाण-पत्र आ पहचान-पत्र आनब ज़रूरी छैक। अनू मलिक फेर एहि कार्यक्रम के जज बनल छथि। एहि बात कें ल कए विवाद रहल छैक जे कार्यक्रम तं छैक गायन कें मुदा एहि मे लुक आ आनो फैक्टर निर्णायक भ रहल छैक। क्षेत्रवाद आ वोटिंग प्रक्रिया पर सेहो कतेको तरहक आक्षेप कएल गेल छैक।
ऑनलाईन आवेदन करए लेल क्लिक करू।