अपनेक स्वागत अछि।

Friday, April 30, 2010

आइसक्रीम ऑन ह्वील्स

पटना मे,सुधा आइसक्रीम आब राह चलैत भेटत। ई पटना मे एहि तरहक पहिल प्रयास छैक। काल्हि एहि सिलसिला मे मौर्यालोक मे,सुधा आइसक्रीम ऑन ह्वील्स के शुभारंभ कएल गेल। एहि गाड़ी पर दू दर्जन स्वादिष्ट कॉकटेल आइसक्रीम उपलब्ध रहत। कॉकटेल तैयार करए लेल आइसक्रीम मे दर्जनों तरहक फल कें मिश्रण कएल गेल छैक। आइटम सभ भोरे दस बजे सं राति 11 बजे धरि भेटत। एखन ई बिक्री पटना मे दस स्थान पर आ मार्केट कॉम्प्लेक्स मे हएत।