अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 15, 2010

उम्र कम बतएला सं पॉलिसी भ सकैत अछि खारिज

राष्ट्रीय उपभोक्ता आयोग निर्णय देने अछि जे जं बीमा करबैत काल पॉलिसी धारक अपन उम्र कम बतबैत अछि, तं इंश्योरेंस कंपनी ओकर दावा के खारिज क सकैत अछि। भारतीय जीवन बीमा निगम (एलआईसी) कें एक मामिला में क्लीन चीट दैत आयोग कहलक कि एहि तरहक कोनहु दावा सही तथ्य कें छिपएबाक आधार पर खारिज कएल जा सकैत अछि। आयोग ई दावा एहि आधार पर खारिज क देलक कि पालिसीधारक बीमा करबैत काल अपन उम्र कम बतओने छल। एहि मामिला में कंपनी पओलक जे पॉलिसी धारक सबूत के रूप मे लाइसेंस कें एक प्रति जमा करओने छल जाहि मे अपन जन्म तारीख गलत बतओने छल। एहि पॉलिसी धारक कें स्वर्गवास पॉलिसी लेबाक तीने मासक उपरान्त भ गेल छल। आयोग कहलक जे कोनहु व्यक्तिक उम्र लाइसेंस के बजाए,ओकर स्कूल प्रमाणपत्र में अंकित तारीख सं निर्धारित कएल जएबाक चाही।