अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, April 17, 2010

फणीश्वर नाथ रेणु जी कें पुश्तैनी घर तूफान मे ध्वस्त


अमर कथाकार फणीश्वरनाथ रेणु केर रचना पर बनल फिल्म तीसरी कसम कें गवाह २०० साल पुरान बरगदक पेड़ राज्य मे मंगलकए आएल तूफान मे नष्ट भ गेल । ई उएह बरगद केर गाछ छल जतए फिल्म तीसरी कसम के मशहूर गीत "सजनवां बैरी हो गए हमार.." कें शूटिंग भेल छल ।

एहि प्रलयंकारी तूफान सं रेणुजी कें पुश्तैनी मकानो धराशायी भ गेल। एही ठाम रेणुजी कें बाल्यकाल बीतल छलन्हि आ एतहि रहि ओ कतेको कालजयी रचना कएने छलाह। मुदा एहि तूफानक पछाति,आब ओ सभ चीज स्मृति मात्र रहि जाएत। एही मास, 11 अप्रैल कए,रेणुजीक पुण्यतिथि पर गाम मे कार्यक्रम आयोजित भेल छल आ रेणुजी कें प्रतिमा पर पुष्पांजलि सेहो अर्पित कएल गेल छल। ज्ञातव्य जे एहि तूफान मे सए सं बेसी लोक मारल गेल छलाह आ हजारों घर नष्ट भ गेल अछि ।