अपनेक स्वागत अछि।

Monday, April 05, 2010

स्टार वन पर "रंग बदलती ओढनी"

स्टार वन चैनल आइ सं रंग बदलती ओढनी नामक सीरियल शुरू क रहल अछि। ई धारावाहिक गुजरात के भुज मे धुलवाड़ी गामक कथा कहैत छैक जाहि मे खनक केर बालसंगी सूरज संग विवाहक कथा छैक। सूरज एक एहन फैक्ट्री मे काज करैत छैक जे गाम मे सेहो लगए वला छैक। ओम्हर,फैक्ट्री मालिक खंडेलवाल केर बेटा शांतनु अनिच्छा सं फैक्ट्री कें उद्घाटन करए अबैत छैक आ ओकर असली मोन अपन मित्र नताशा सं विवाहक तैयारी करबाक छैक। मुदा घटनाक्रम दोसर रूपें चलैत छैक आ कनक,सूरज,शांतनु,नताशा-सभहक जीवन बदलि जाइत छैक।

एहि धारावाहिक केर कैच लाइन छैकःसपने टूटे,पूरे होने के बाद आ इहो स्वयं कथा देया बहुत किछु कहैत छैक। सूरज कें भूमिका मे छथि हरप्रीत सिंह आ शांतनु के रोल मे करण टाकर। खनक के रोल यशश्री मासुरकर कएने छथि जे हिनकर हिंदी मे पहिल धारावाहिक छन्हि।

धारावाहिक कें प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं शुक्र तक राति 10 बजे सं हएत।