अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 15, 2010

फोटोग्राफी सीखू कैनन सं

कैनन आब फोटोग्राफी प्रशिक्षण लाइन मे उतरि रहल अछि। कैनन इंडिया प्राइवेट लिमिटेड चालू वित्त वर्ष मे, मार्केंटिंग में ५५ करोड़ रुपय्या केर निवेश करत। कैनन मंगल कए घोषणा कएलक जे भारत मे ३७ शहर मे फोटोग्राफी के प्रशिक्षण देमय लेल ८५ कार्यशाला आयोजित करत। कैनन इंडिया के अध्यक्ष आर मुख्य कार्यकारी अधिकारी केनसाकू कोनिशी दिल्ली मे, डिजीटल कैमरा केर २०टा नव जारी करैत कहलनि जे ई कैमरा सभ आधुनिकतम तकनीक सं लैस आ भारतीय परिस्थिति लेल सर्वोत्तम अछि। ज्ञातव्य जे भारत में डिजीटल कैमरा केर बाजार दू हजार करोड़ रुपय्या के छैक जाहि मे कैनन केर हिस्सेदारी १८ प्रतिशत के छैक।