अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, April 20, 2010

यात्री पुरस्कार आ कांचीनाथ झा "किरण" पुरस्कार वितरित

हालहि मे,मैथिलीक साहित्यकारलोकनि कें प्रतिष्ठित यात्री पुरस्कारकांचीनाथ झा किरण पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेलनि। समारोह मधुबनी मे आयोजित भेल छल।
2010 केर यात्री पुरस्कार पछिला तीस बरख सं सक्रिय कवि-कथाकार-निबन्धकार-आलोचक नारायण जी केँ देल गेलनि । हम घर घुरि रहल छी हुनक चर्चित पोथी छन्हि।
2009 के पुरस्कार भेटलनि अलीगढ मुसलिम विश्वविद्यालय मे हिंदी के एसिस्टेंट प्रोफेसर डाक्टर पंकज पराशर कें। कवि-समालोचक पंकज जी सहरसा के छथि आ हुनकर दू गोट पोथी बहरायल छन्हि-समय कें अकानैतविलम्बित कईक युग मे निबद्ध
2008 केर लेल इएह पुरस्कार कवि हरेकृष्ण झा कें भेटलनि। कोईलखवासी श्री हरेकृष्ण जी कवि-आलोचक-अनुवादक छथि। एना कतेक दिन हुनकर चर्चित काव्य-संग्रह छन्हि।
कांचीनाथ झा किरण पुरस्कार मधुकांत झा केँ हुनकर उपन्यास स्वेदजीवी के लेल देल गेलनि। फुलपरास थानांतर्गत विष्णुपुर निवासी मधुकांत जी चर्चित मैथिली पत्रिका समय-साल के सम्पादक छथि। ओ बहुविध लेखन कएने छथि। हिंदी मे दूधिया मेघ(कविता),चंद खुशियां दबोचे गले(गजल) आ मैथिली मे वेदना के स्वर-तरंग(गीत),लोक की कहत(कथा),मिझाइत अंत प्रकाश(कविता) आ लटलीला(प्रेम-संवाद संग्रह) प्रकाशित छन्हि।

पुरस्कार विजेता लोकनि कें अंगवस्त्रम, प्रशस्ति पत्र, 1501 नकद राशि और मार्ग व्यय प्रदान कयल गेलनि। खास बात ई जे श्रोताक संख्या लगभग बीस-पच्चीस हजार छल, जे आश्चर्यजनक उपस्थिति छल। एहि त्रिदिवसीय कार्यक्रमक आयोजक छल रहिका, मधुबनी केर मैथिल समाज। एहि कार्यक्रम मे पंडौल केर विधायक विनोद नारायण झा आ मधुबनीक एसपी उषा झा केर उपस्थिति अंत धरि छल। कार्यक्रम मे मिथिलाक आर्थिक विकास विषय पर घनघोर सेमिनारक भेल। संग-संग नाटक, गीत-नाद, सांस्कृतिक अनेक कार्यक्रम सेहो छल।
कार्यक्रम वृहद पैमाना पर छल, जाहि मे रहिका केर आसपासक कम सँ कम आठ-दस गामक सब तरहक सहयोग छल।