अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 15, 2010

हिंदी शब्द संसाधन

दिल्ली में 13 अप्रैल कए,गृहराज्य मंत्री अजय माकन "हिन्दी शब्द संसाधन" नामक पुस्तक आर एकर वेब संस्करण के लोकार्पण कएलनि। एहि पोथी कें पढिकए ककरहु लेल कंप्यूटर पर हिन्दी मे काज करब आसान भ जेतैक। जे गोटे हिन्दी टाइपिंग नहि जनैत छथि तनिका लेल फोनेटिक के माध्यम सं हिन्दी मे काज करबाक युक्ति बताओल गेल छैक जाहि सं ओ इंटरनेट पर हिन्दी लिखि सकथि। ई पोथी गृह मंत्रालय कें राजभाषा विभाग अंतर्गत केन्द्रीय हिन्दी प्रशिक्षण संस्थान के तीन सहायक निदेशक-दिनेश कुमार, राकेश वर्मा आर मुकेश संयुक्त रूप सं लिखने छथि। हिंदी माध्यम सं कंप्यूटर आ एकर विभिन्न एप्लीकेशंस के सिखबएबला मारिते पोथी बजार में छैक मुदा एकहु टा एहन पोथी उपलब्ध नहि छैक जे हिंदी मे शब्द-संसाधनक जानकारी देबाक अतिरिक्त टाइपो कएनाई सिखा सकए। ई पोथी इएह बात के ध्यान मे राखिकए आनल गेल अछि। एहि मे,हिंदी भाषा कें तीनो कुंजीपटल-इन्स्क्रिप्ट,टाइपराइटर आ इंग्लिश फोनेटिक के अभ्यास करबाक तरीका बताओल गेल छैक।