अपनेक स्वागत अछि।

Monday, April 05, 2010

स्टार वन पर "गीत"

स्टार वन पर आइ सं गीत नामक नव धारावाहिक शुरू भ रहल अछि। प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं शुक्र तक राति में साढे नौ बजे हएत। धारावाहिक केर कैच लाइन छैक-एनआरआई से शादी खुशियों की गारंटी नहीं जे स्वयं विषय केर स्पष्ट करैत अछि। एहि सीरियल में पारंपरिक पंजाबी परिवार केर कहानी छैक। एहि धारावाहिक कें पंजाबी परिवारक रहन-सहन आ खासकए विवाहादि सं जुड़ल रीति-रिवाज कें बुझबाक दृष्टि सं बहुत महत्वपूर्ण मानल जा रहल छैक। दिल मिल गया धारावाहिक मे बहुचर्चित डॉ. मुस्कान केर रोल सं चर्चा मे आएल दृष्टि धामी एहि धारावाहिक में लीड रोल मे छथि। कथा एक प्रवासी पंजाबी परिवार केर वास्तविक घटनाक्रम सं प्रेरित बताएल जा रहल छैक। धारावाहिक केर प्रारंभ गीत केर विवाह सं होइत छैक जकर प्रतिएं परिवार बेहद उत्साहित छैक किएक तं विवाह भ रहल छैक एक सफल एनआरआई सं जे उज्ज्वल भविष्यक ख्वाब देखबैत छैक। मुदा वरपक्षक आग्रहक कारणें,विवाह पारिवारिक आयोजन मात्र जकां रखबाक राखल जाइत छैक। किएक,ताहि लेल धारावाहिक देखए पड़त।