अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, April 13, 2010

दूरदर्शन पर महाराजा रणजीत सिंह

दूरदर्शन पर आई सं महाराजा रणजीत सिंह नामक धारावाहिक शुरू भ रहल अछि। कार्यक्रमक प्रसारण सिर्फ मंगल कए राति दस बजे हएत। महाराजा रणजीत सिंह (१७८०-१८३९) पंजाब के महान राजा छलाह। हुनका शेर-ए पंजाब कहल जाइत छन्हि। महाराजा रणजीत सिंह पंजाब कें एक सशक्त राज्यक रूप में एकजुट रखलनि आ हुनकर जीबैत धरि अंग्रेज पंजाब पर अधिकार करबाक साहस नहि क सकल छल । 12अप्रैल 1801 कए रणजीत जी महाराजा केर उपाधि ग्रहण कएने छलाह। पहिल आधुनिक भारतीय सेना - "सिख खालसा सेना" गठित करबाक श्रेय हुनके छन्हि। हुनकर शासन काल मे पंजाब मे ककरो मृत्युदंड नहि देल गेल छल। हिंदू आर सिख सं लेल जा रहल कर जजिया पर उएह रोक लगएने छलाह। अमृतसर केर हरमिंदर साहिब गुरूद्वारा में हुनके संगमरमर लगएबाक आ सोना मढएलाक पछाति ओकरा स्वर्ण मंदिर कहल जाए लगलैक। बेशकीमती हीरा कोहिनूर महाराजा रणजीत सिंह के खजाना के रौनक छल। महाराजा रणजीत सन 1839 में स्वर्गवासी भेलाह। हुनकर समाधि लाहौर में बनाओल गेल छल जे आइयो ओहि ठाम अछि।
एहि धारावाहिक मे मुख्य भूमिका राजबब्बर के छन्हि। हुनकर कहब छन्हि जे ओ एहि विषय पर फिल्म सेहो बनओताह। एक रिपोर्ट दैनिक हिंदुस्तान सं-