अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, August 21, 2010

पृथक मिथिला राज्यक मांग ल कए प्रदर्शन

अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के तत्वावधान में पृथक मिथिला राज्यक मांग ल कए मिथिलावासीलोकनि काल्हि जंतर-मंतर पर प्रदर्शन कएलनि। अध्यक्षत छलाह डा. वैधनाथ चौधरी। प्रदर्शन में सांसद कीर्ति झा आजाद, माहेश्वर हजारी, महाबल मिश्रा व विधायक अनिल कुमार झा शामिल भेलाह। बाद में ई लोकनि गिरफ्तारी सेहो देलनि। एहि दौरान प्रदर्शनकारी ..भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही के नारा लगबैत रहलाह। सांसद कीर्ति झा आजाद कहलनि जे मिथिलांचल के समस्याक हल अलग राज्य बनलहि सं संभव। हुनकर कहब रहनि जे क्षेत्र कें पृथक राज्यक दर्जा भेटलाक बादे आर्थिक, सामाजिक, राजनीतिक, भाषाई आर औद्योगिक आजादी सहित बाढ़ आ सुखाड़ सं मुक्ति भेट सकतैक। सांसद माहेश्वर हाजरी कें कहब छलन्हि जे बिना मिथिला राज्य के, मिथिलांचल वासी सभहक विकास संभव नहिं हएत। महाबल मिश्रा घोषणा कएलनि कि पृथक मिथिला राज्यक लेल ओ कोनहु तरहक कुर्बानी देमए लेल तैयार छथि। विधायक अनिल कुमार झा सेहो संबोधित कएलनि। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के अध्यक्ष वैधनाथ चौधरी कें कहब रहनि कि आगामी अक्टूबर-नवंबर महीना मे बिहार मे विधानसभा चुनाव होमय जा रहल छैक। ओ मिथिलावासी लोकनिक भावना कें कद्र करैत राजनीतिक पार्टी सभ सं अपील कएलनि कि ओ सभ अपन घोषणा-पत्र में पृथक मिथिला राज्यक मांग कें जरूर स्थान दथि। एहि मौका पर सुधिकांत झा, दिनेश मिश्र, अवधेश चौधरी आ तपेश्वर लाल कर्ण सेहो मौजूद छलाह।