अपनेक स्वागत अछि।

Friday, January 22, 2010

"कहू त"(2) केर परिणाम

एहि ब्लॉग पर प्रारम्भ कएल गेल रुचिगर जानकारी आधारित कॉलम "कहू त" श्रृंखलाक केर दोसर प्रश्न छलः-
कोन चीजक खेती देया कहल गेल छैक जे ओकर फसिल तीन बेर पटौनी भेलाक बादे नीक भ सकैत छैक?
विकल्प छलः-
-कुसियार
-गहूम
-राहड़ि
-मकई
पाठक लोकनि सही उत्तर धरि नहिं पहुंच सकलाह। सभ वोटकर्ता गहूम विकल्प कें चुनलनि मुदा सही उत्तर छैक-कुसियार
एहि स्तंभक प्रतिएं पाठक लोकनिक प्रतिक्रिया उत्साहवर्द्धक छैक। निरंतर उपयोगी आ ज्ञानवर्द्धक प्रश्न शामिल करबाक प्रयत्न रहत। जं अहां कोनो प्रश्न एहि कॉलम में शामिल करए चाहैत छी,तं sujhavpeti@gmail.com पर मेल कए सकैत छी।