अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, January 30, 2010

दिल्ली में विश्व पुस्तक मेला आइ सं। मैथिली पत्रिका सभ सेहो उपलब्ध

• प्रगति मैदान में 7 फरवरी तक चलत। 11 बजे सं 8 बजे राति तक।

• हॉल नं.-1,2,3,4,5,6,7,12 आ 14 में लागल अछि प्रदर्शनी ।

• टिकट 20 रूपया,नेना सभहक-10 रूपया।

• राजकमल प्रकाशन के दरियागंज कार्यालय में10 बजे सं 6 बजे तक टिकट मुफ्त उपलब्ध। प्रतिदिन ओकर स्टॉल पर पहिल 10 पाठक कें 100-100 टका केर पोथी सेहो मुफ्त भेटत।

• सोम सं शुक्र धरि शिक्षकक साथ यूनीफार्म में अएला पर बच्चा सभहक प्रवेश निःशुल्क।

• हॉल नं. 14,स्टैंड-एस1-2 में मिथिला दर्शन केर स्टॉल छैक।

अंतिका प्रकाशन केर स्टॉल हॉल नं. 12-ए,स्टॉल नं. 6 पर।

मिथिलांगन पत्रिका हॉल नं. 2 में स्टॉल सं. 624-626 पर(फोनः23371275) पर उपलब्ध अछि।

• पार्किंग सुविधा भैरों रोड पर सशुल्क। बोट क्लब आ इंडिया गेट पर सेहो पार्किंग सुविधा।