अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, January 26, 2010

मिथिलांचल-सीमांचल में पसरैत आतंकवाद

(नई दुनिया,दिल्ली,31.1.10)
पछिला दिन पूर्णिया में एक बांग्लादेशी नागरिक आ अलकायदा के एक संदिग्ध आतंकी केर गिरफ्तारी सं ई आशंका प्रबल भेल अछि कि एहन तं नहिं जे मिथिलांचलक बाद आब सीमांचलो कें आतंकवादी सुरक्षित अड्डा बुझए लागल छैक? पूर्णिया जिला पुलिस एही सप्ताह, अलकायदा प्रशिक्षित अफगानी मूलक संदिग्ध आतंकी गुलाम रसूल खान उर्फ मिर्जा खान कें गिरफ्तार कएने छल, जे पछिला डेढ़ माह सं नेपाल में रहि रहल छल आ विराटनगर सं जोगबनी होइत पूर्णिया आएल छल। ओकर योजना पूर्णिया सं सिलीगुड़ी जा कए ओतए मवेशी तस्कर केर मदति सं बांग्लादेश होइत अफगानिस्तान जएबाक रहए। पाकिस्तान के कराची में अलकायदा प्रशिक्षित मिर्जा खान भारत, नेपाल, बांग्लादेश, दुबई, पाकिस्तान आ अफगानिस्तान केर यात्रा कतेको बेर क चुकल छल । पूर्णिया पुलिस 11 जनवरी कए चूनापुर हवाई अड्डा के कैंप एरिया सं एक बांग्लादेशी नागरिक तौफीक के सेहो गिरफ्तार कएने छल। तौफीक बांग्लादेश के कंसार जिला के मलिकपुर थाना अंतर्गत चक्ति गामक निवासी अछि। ओकरा सं उत्तर भारत के तेल शोधक संयंत्रक नक्शा भेटलैक।
आतंकी सभ सं बिहारक तार पहिनहुं जुड़ैत रहल छैक। पटना पुलिस सीतामढ़ी निवासी आ सेना सं निष्कासित जवान सुधांशु सुधाकर कें पाकिस्तानी खुफिया एजेंसी आईएसआई के लेल मुखबिरी करबाक आरोप में, पछिला बरख 21 सितंबर कए पटना के कंकड़बाग थाना इलाका सं, किछु महत्वपूर्ण सैन्य दस्तावेजक संग गिरफ्तार कएने छल। एसएसबी सेहो पछिले बरख 8 अप्रैल कए मधुबनी के देवधा थाना क्षेत्र सं भारत में घुसि रहल पाकिस्तानी मुख्तार अली खान के धएने छल। ओकरा सं पाकिस्तानी, नेपाली आ सऊदी अरब केर मुद्रा बरामद भेल छल। विगत किछु बरख में, देश में भेल किछु प्रमुख आतंकी घटना केर तार नेपाल सं सटल बिहार के मिथिलांचल क्षेत्र में पड़एवला वाला जिला आ खासकए दरभंगा आ मधुबनी सं जुड़बाक पुख्ता सबूत पुलिस कें भेटल छल। गत वर्ष जून में दिल्ली सं गिरफ्तार लश्कर-ए-तय्यबा केर सदस्य मो. उमर मदनी सहित इस इलाका सं प्रदेश के बाहर पढ़ाई करबालेल आ नौकरी लेल गेल युवक कें आतंकवादी सभहक कुसंगति में पड़बाक बात प्रकट भ चुकल छैक। मधुबनी के बलकटवा गामक मदनी नेपाल चलि गेल छल आ ओतहि सं आतंकवादी कें प्रशिक्षण आ धन देबाक कारोबार चलबैत छल। उत्तरप्रदेश के रामपुर स्थित सीआरपीएफ कैंप में विस्फोट सहित कतेको आन आतंकी घटना में शामिल सबाउद्दीन उर्फ फरहान अहमद कें 10 जनवरी 2008 कए लखनऊ सं गिरफ्तार कएल गेल छल। ऊहो मधुबनी के बाशिंदा छल। ओकर संबंध आतंकी संगठन लश्कर-ए-तय्यबा सं हेबाक पता लागल छल। मधुबनीए कें एक आओर युवक मोहम्मद कलाम कें मुंबई ट्रेन बम विस्फोट कांड में गिरफ्तार कएल गेल छल। दरभंगा के फजलुर रहमान कें 3 वर्ष पूर्व उत्तर प्रदेश में गिरफ्तार कएल गेल छल आ ओकर संबंध अंडरव‌र्ल्ड सरगना दाऊद इब्राहीम गिरोह सं पाओल गेल छल।
(दैनिक जागरण,25 जनवरी,2010)





















(हिंदुस्तान,पटना,गणतंत्र दिवस,2010)