अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, January 14, 2010

"कहू त"(1) केर परिणाम

नव वर्ष में,एहि ब्लॉग पर प्रारम्भ कएल गेल स्तम्भ "कहू त" केर पहिल प्रश्न छलः
एक कोस कतेक माइल केर बराबरि होइत छैक?
विकल्प छलः-
-एक माइल
-दू माइल
-तीन माइल
-चारि माइल
66 प्रतिशत वोट कएनिहार "दू माइल" विकल्प चुनलनि से सही उत्तर थिक। 33 प्रतिशत वोटकर्ता "तीन माइल" उत्तर बतओलनि जे गलत छल।
नव प्रश्न प्रस्तुत करैत अपने सभ सं आग्रह जे एहि कॉलम लेल वोट अवश्य करी।