अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, September 23, 2010

राष्ट्रमंडल खेल कार्ड पर मधुबनी पेंटिंग

राष्ट्रमंडल लेल निर्मित फ्लैट मे मधुबनी पेंटिंग केर प्रयोग देया एहि ब्लॉग पर पाठक लोकनि कें अवगत कराओल गेल छल। आब राष्ट्रमंडल खेलक कार्ड पर सेहो मधुबनी पेंटिंग केर प्रयोग कएल जा रहल अछि। आजुक अमर उजाला के संपादकीय कहैत अछि जे ई मधुबनी पेंटिंग केर लोकप्रियता के प्रकट करैत अछि। अखबार मोन पाड़ैत अछि जे गामघरक महिलालोकनि प्रारमभ मे एकर प्रयोग मूलतः माटिक देबाल पर करैत छलथि। मुदा आब ई कपड़ा,हस्तनिर्मित कागज आ कैनवास पर सेहो कएल जा रहल छैक। मान्यता छैक जे एहि पेंटिंग केर शुरुआत रामायण काल में भेल छल जखन मिथिला नरेश राजा जनक पुत्री सीता आर रामक विवाहक अवसर पर ई पेंटिंग करओलनि। एकर विषय प्रायः, हिंदू देवी-देवता आर प्रकृति सं संबंधित रहैत छैक आर एकरा विभिन्न त्योहार आ संस्कार पर बनाओल जाइत छैक।

देशे टा नहि,विदेशों मे एहि पेंटिंग केर बड़ प्रसिद्धि छैक। सामान्यतया, ई पेंटिंग स्त्रीलोकनि द्वारा कएल जाइत छैक आर ई पारंपरिक रूप सं पीढ़ी-दर-पीढ़ी हस्तांतरित होइत जाइत छैक। शुरू में ई दू तरहक बनाओल जाइत छलैक -अरिपन (अल्पना) आर कोहबर (भित्तिचित्र)। एहिमें प्राकृतिके संसाधन मात्र सं निर्मित रंगक प्रयोग कएल जाइत छैक। डब्लू. जी. आर्चर नामक एक ब्रिटिश अफसर 1934 के भूकंप के दौरान जखन एहि पेंटिंग कें देखलनि तं ओ किछु कलाकार लोकनिक काज कें संग्रहीत कएलनि आर ओकरा लंदन के इंडिया रिकॉर्ड ऑफिस ल गेलाह। ओ 15 बरखक गहन शोधक बाद 1949 में कला पत्रिका मार्ग में एक निबंध लिखिकए एहि पेंटिंग दिसि दुनिया कें ध्यानाकर्षण करओलनि।

वर्ष 1966 सं 1968 के दौरान बिहार में भयंकर सुखाड़ भेल छल। खेती चौपट भ गेल छल आ भयंकर अकाल सेहो पड़ल छल। ओहि समय खेती के अलावा आय केर आन विकल्पक तलाश मे, स्त्रीलोकनि पेंटिंग कें कागज आर कपड़ा पर बनाएब प्रारम्भ कएने छलीह। ऑल इंडिया हैंडीक्राफ्ट्स बोर्ड सेहो मधुबनी के महिलालोकनि कें कपड़ा पर चित्र बनएबाक लेल प्रोत्साहित कएलक। एहि विलक्षण पेंटिंग पर डाक टिकट सेहो जारी कएल जा चुकल अछि।