अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, March 11, 2010

सिगरेट पैकेट पर भयावह फोटो

1 जून सं,सिगरेट केर पैकेट पर आब भयावह चित्र भेटत। स्वास्थ्य मंत्रालय सिगरेट कंपनी सभ कें निर्देश देने अछि कि पैकेट पर पहिलुका चित्रक जगह मुंहक कैंसर केर एहन चित्र छापल जाए जाहिसं लोक कें डर होए। एहि बाबत ५ मार्च कए अधिसूचना सेहो जारी क देल गेल। 8 राज्यक सर्वेक्षण सं निष्कर्ष निकलल अछि जे डेराओन चित्रक प्रभाव बेसी हएत।
वोलंटरी हेल्थ एसोसियेशन ऑफ इंडिया सहित आन स्वयंसेवी अभियान बाद, पछिला साल सरकार कंपनी सभ कें सिगरेट पैकेट पर सचित्र चेतावनी छपबाक निर्देश देने छल। मुदा बिच्छूयुक्त एहि फोटो सभहक कोनो खास असरि नहि भेलैक। परञ्च आब पैकेट पर जे चित्र छपत से बड्ड डेराओन हएत। एहि लेल मंत्रालय कें ११ टा फोटो भेटल छल जाहि मे सं ओहि फोटो कें चुनल गेल जे लोक कें सिहरा दए।