अपनेक स्वागत अछि।

Friday, March 12, 2010

एफटीवी पर दस दिनक प्रतिबंध


एकटा चैनल छैक-एफटीवी। जखन खोलू एक दिस सं जनानी अबैत रहत आ दोसर दिस सं जाइत रहत। दिन भरि इएह खेल मुदा लोक सभ नहि अकछाइ छथि। किएक तं ओहि जनानी सभहक पहिरावा किछु विशेष रहैत छैक।ओही फैशन टीवी चैनलपर केंद्र सरकार दस दिनक प्रतिबंध लगा देलक अछि। एफटीवी अपन एक कार्यक्रम मे, जनानी सभहक अर्धनग्न फोटो देखेने छल जकरा स्वस्थ मनोरंजन आर शिष्टता के खिलाफ बूझल गेलैक। प्रतिबंध आई सांझ सात बजे सं २१ मार्च सांझ सात बजे तक जारी रहत। एफटीवी ई आपत्तिजनक दृश्य चारि सितंबर २००९ कए दूपहर तीन बजे आर साँझ सात बजे प्रसारित कएने छल। सूचना आ प्रसारण मंत्रालय एकरा केबल टेलीविजन नेटवर्क अधिनियम ,1994 केर उल्लंघन मानलक। ध्यान रहए जे मंत्रालय एफटीवी पर"मिडनाइट हॉट" कार्यक्रम केर कारणें पहिनहुं प्रतिबंध लगओने छल। अहू कार्यक्रम मे, जनानी सभ कें अर्धनग्न अवस्था में देखाओल गेल छल। चैनल तखन खेद प्रकट करैत आश्वासन देने छल जे फेर एना नहि करत मुदा......कइये देलक।