अपनेक स्वागत अछि।

Friday, March 12, 2010

आइपीएल आइ सं शुरु। प्रसारण यू-ट्यूब पर। 8 टीमक बीच 43 दिन मे 60 मैच

क्रिकेट आ सिनेमा केर संबंध पुरान छैक मुदा आईपीएल मैचक कारण आब क्रिकेटक सिनेमाकरण भ गेल अछि। आईपीएल मैचक कारणें कतेको पैघ बैनर सभहक फिल्मक प्रदर्शन टालि देल गेल छैक। ज्ञातव्य जे मुंबई सहित देश के कतेको पैघ शहर सभहक मल्टीप्लेक्स थिएटर में आईपीएल मैचक सीधा प्रसारण देखाएल जएतैक। देश कें १०० सं बेसी थिएटर में लाइव क्रिकेट के माध्यम सं दर्शक सभहक मनोरंजन करबाक योजना छैक। तें, १२ मार्च सं २५ अप्रैल धरिक बीच, हिंदी केर कोनो बड़का सिनेमा रिलीज नहि भ रहल अछि। हं, एहि बीच लगभग छोट बजटक एक दर्जन सिनेमा जरूर देख सकब। प्रकाश झा केर राजनीति (जाहिमें आधा दर्जन नसीरुद्दीन शाह, अजय देवगन, नाना पाटेकर, मनोज वाजपेयी, अर्जुन रामपाल,रणवीर कपूर आर कैटरीना कैफ आदि छथि )आ मणिरत्नम केर रावण (जाहिमें अभिषेक बच्चन, ऐश्वर्य राय बच्चन, गोविंदा आर रविकिशन आदि छथि)और अक्षय कुमार, दीपिका पादुकोण व रितेश देशमुख केर हाउसफुल आदि कतेको फिल्म सभ आब मई में रिलीज हएत। उद्घाटन मैच मे दीपिका पादुकोणक डांस देख सकब। बहरहाल,कार्यक्रम नोट करूः