अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, March 09, 2010

राम कें गार्ड ऑफ ऑनर

आजुक नवभारत टाइम्स भगवान राम कें गार्ड ऑफ ऑनर देल जएबाक दिलचस्प खबरि छपने अछि। प्रकाशित खबरि केर अनुसार, राजा हरदौल केर पवित्र नगरी बुंदेलखंड के ओरजा मे, एखनो रामराज कायम छैक। अहिठाम मर्यादा पुरुषोत्तम श्रीराम कें पूजा राजा के रूप में कएल जाइत छैक। एतबे नहि, मध्य प्रदेश पुलिस चारों पहर कें आरती मे, भगवान श्रीराम कें 'गार्ड ऑफ ऑनर' सेहो दैत अछि।
बुंदेलखंड के टीकमगढ़ जिला मे राजा हरदौल केर पवित्र नगरी ओरछा छैक। जनश्रुति केर अनुसार, एतय बुंदेला राजा जुझार सिंह अपने सेनापति पहार सिंह के बहकएलाक कारणें अपन ब्रह्माचारी भाई राजा हरदौल कें भोजन में जद कए मरवा देलक । किवदंती के मुताबिक, राजा हरदौल अमर भ गेल छलाह। एही नगरी मे मर्यादा पुरुषोत्तम श्रीराम कें राजा केर पदवी देल जएबाक पाछू एक लोककथा प्रचलित अछि।
मान्यता कें अनुसार, संवत् 1600 में बुंदेला महाराजा माकुर शाह केर पत्नी महारानी कुंअरि, गणेश आर रामक प्रतिमा अयोध्या सं ओरछा अनलथि। ओहि समय, राम शर्त रखलनि जे ओरछा में राजतंत्र नहि बल्कि हुनके सत्ता रहत। शर्त मानिकए महाराजा माकुर ओरछा राज्य में 'रामराज'क घोषणा क देलनि।
महाराजा के शासनकाल में चारों पहर केर आरती में भगवान श्रीराम कें 'गार्ड ऑफ ऑनर' देबाक परंपरा तखनहि सं शुरू भेल जे आई धरि मध्य प्रदेश पुलिस बखूबी निभा रहल अछि।

ओरछा तीर्थ नगरी कें रूप में प्रसिद्ध छैक आ देशभरि सं लोग एहिठाम पूजा-अर्चना लेल अबैत छथि। एतय मंदिर केर सुरक्षा लेल मध्य प्रदेश सरकार के तरफ सं जवान तैनात कएल गेल छथि जे रोजाना आरती के समय गार्ड ऑफ ऑनर देते हैं।