अपनेक स्वागत अछि।

Monday, March 22, 2010

दिल्ली मे बिहार उत्सव मे मिथिला पेंटिंग,टिकुली आर्ट आ शारदा सिन्हा कें गीत-नाद

राज्यक स्थापना दिवस परबिहार सरकारआइ सं दिल्ली मे बिहार उत्सवक आयोजन क रहल अछि। एहि अवसर पर प्रगति मैदान कें हॉल संख्या १५ मे पांच अप्रैल धरिक १५ दिवसीय हथकरघा आ हस्तशिल्प प्रदर्शनी-सह-मेला आयोजित कएल जा रहल छैक। दर्शक सभहक लेल खरीदारी के साथ बिहार कें व्यंजन सभहक विशेष व्यवस्था छैक। प्रदर्शनी मे ४०टा स्टॉल अछि। एहि स्टॉल सभ पर भागलपुरी सिल्क, मिथिला पेंटिंग, भभुआ कें पत्थर सं बनल आकर्षक हाथी, मेहषी, मोतिहारी केर आकर्षक शीप सं बनल आभूषण, टेराकोटा आ जूट निर्मित सामान, टिकुली आर्ट के साथ नालंदा, बिहारशरीफ केर निपुरा सिल्क आर हथकरघा सं बनल बेड-शीट, चद्दरि आदि मेलाक प्रमुख आकर्षण रहत। प्रदर्शनी में रोज सांझ मे एक घंटा कें रंगारंग कार्यक्रम सेहो आयोजित हएत। २६ मार्च कए हंस ध्वनि थियेटर में लोकगीत गायिका पद्मश्री शारदा सिन्हा कें कार्यक्रम राखल गेल अछि। गेट संख्या 7 आ 10 सं प्रवेश निःशुल्क अछि।