skip to main |
skip to sidebar
मोबाइल नं दसे अंकक रहबाक संभावना
११ अंक केर मोबाइल नंबर शुरू करबाक योजना खटाई में पड़बाक संभावना अछि। प्रायः मोबाइल कंपनी एकर पुरजोर विरोध क रहल अछि। तें, दूरसंचार विभाग आब एहि योजना कें टालि देबाक मोन बना रहल अछि। मोबाइल कंपनी सभ ट्राई कें ११ अंकक मोबाइल नंबर केर योजनाक लिखित विरोध दर्ज करएने अछि। कंपनी सभहक कहब छैक जे ११ अंकक प्रणाली कें व्यावहारिक रूप देब बड्ड मोसकिल छैक। एहि प्रक्रिया में बहुत समय लगतैक जाहि सं ग्राहक कें असुविधा हेतैक। बीएसएनएल तं ट्राई कें एतेक धरि लिखने अछि जे दस अंकक मौजूदा नंबर प्रणाली अगिला दस बरखक जरूरति पूरा करबा में सक्षम अछि।कंपनी सभहक विचार छैक जे११ अंकक नंबर प्रणाली केर मुकाबिला मे,मोबाइल नंबरों को आठ अथवा सात अंक सं शुरू करबाक दूरसंचार विभागक प्रस्ताव बेसी नीक छैक आ ओहि पर आसानी सं कार्यान्वयन सेहो भ सकैत अछि । बीएसएनएल कें स्पष्ट तर्क छैक जे दस अंकक मौजूदा प्रणाली १.२ अरबअतिरिक्तमोबाइल कनेक्शन के लेल सक्षम छैक। नई दुनिया मे एहि संबंध मे आई प्रकाशित खबरि केर अनुसार, खाली रिलायंस कम्युनिकेशन आर टाटा टेली एहि प्रणाली कें लागू करबाक पक्ष मे अछि।