अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, March 23, 2010

राज्यपाल कें पाग

राज्यपाल देबानंद कुंवर कें कहब छन्हि जे जाहि राज्य मे मैथिली, भोजपुरी आ मगही भाषाक त्रिवेणी बहि रहल हुअए,ओकरा चमकए सं केओ नहि रोकि सकैत अछि।  काल्हि ललित नारायण मिथिला विश्र्वविद्यालय मे आयोजित तीन दिवसीय बिहार अंतर-विश्र्वविद्यालय सांस्कृतिक प्रतियोगिता तरंग केर उद्घाटन कएलाक बाद शिक्षक, छात्र आ बुद्धिजीवी सभ कें संबोधित करैत ओ कहलनि जे मानव संसाधन केर बेहतर उपयोग भेलहि सं देशक बेहतरी संभव अछि। नागेंद्र झा स्टेडियम में आयोजित एहि कार्यक्रम के उद्घाटन अवसर पर प्रस्तुत बिहू आ ओडिसी नृत्यक संग पारंपरिक शिव विवाहक चर्चा करैत कुंवर जी कहलनि जे सांस्कृतिक दृष्टिएं देशक राज्य बंधनमुक्त भ गेल अछि। सांसद कीर्ति आजाद कहलनि जे ओ विश्वविद्यालय सभहक हरसंभव मदद करबा लेल तैयार छथि। कार्यक्रमक अध्यक्षता ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर कुलपति डा. पद्माशा झा कएलनि। एहि अवसर पर राज्यपाल कें  पाग आ अंगवस्त्र सं अभिनंदन कएल गेलन्हि।