अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, March 20, 2010

31 मार्च सं नव गुवाहाटी राजधानी एक्सप्रेस

नई दिल्ली सं गुवहाटी के लेल आब एकटा आओर राजधानी (२२३६) एक्सप्रेस चलत। ई गाड़ी 31 मार्च सं हर सप्ताह बुधवार कए चलत। नई दिल्ली सं भोरे ९.३० बजे चलिकए ई गाड़ी अगिला दिन सांझ सात बजे गुवहाटी पहुंचत। वापसी में यह गाड़ी (२२३५) गुवाहाटी सं (पहिल बेर दू अप्रैल कए) हर शुक्रकए सांझ मे ५.५५ बजे चलत आ अगिला दिन १.५०बजे दुपहर मे नई दिल्ली पहुंचत। एहि ट्रेन मे एक एसी प्रथम श्रेणी, तीन एसी द्वितीय श्रेणी, दस एसी तृतीय श्रेणी, दूटा पेंट्री कार आर दूटा ब्रेक वैन-सह- जेनरेटर कार रहत।
एहि ट्रेनक स्टॉपेज मुरादाबाद, बरेली, लखनऊ, वाराणसी, बलिया, छपरा, हाजीपुर, मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, कटिहार, किशनगंज, न्यू जलपाईगुड़ी, न्यूकूचबिहार, नईअलीपुरद्वार, कोकराझार आर नई बोंगईगांव स्टेशन पर निश्चित कएल गेल छैक।