अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, March 04, 2010

दिल्ली मे संगीत कार्यक्रम

दिल्ली मे काल्हि सं तीन दिनक संगीत कार्यक्रम निजामुद्दीन बस्ती मे खुसरो केर मकबरा लग शुरू भ रहल अछि। कार्यक्रम अमीर खुसरो केर संगीतमय धरोहरक स्मृति में आयोजित कएल जा रहल अछि। इएह सूफी कार्यक्रम जश्न-ए-खुसरो नाम सं 10 सं 14 मार्च धरि दिल्ली केर इंडिया इंटरनेशनल सेंटर में सेहो आयोजित हएत। जश्न-ए-खुसरो में,खनकही कव्वाल आ दरगाही कव्वाल केर प्रदर्शन पर सभहक नज़रि छैक किएक तं ई दुनू अलग-अलग शैली केर कव्वाली अछि।

सूफी संगीत मे खुसरो केर योगदान लोक बिसरि रहल छथि। सूफी संगीत आइ ओहि रूप में नहि लेल जाइत छैक जाहि रूप में ओ मूलतः छल। आब तं कव्वाली सेहो हिंदी सिनेमा संग मिझरा देल जाइत छैक। चौंसठि खंभा स्मारक पर आयोजित कार्यक्रम मे कव्वाली सुनि सकब। पाकिस्तान सं आएल आमिर खुसरो केर वंशज कव्वाल बच्चे नाम सं म्यूजिकल ग्रुप चलबैत छथि जनिकर कव्वाली सुनबाक अवसर भेटत। भारत आ पाकिस्तानक आन प्रमुख कव्वाल तं रहबे करताह। ई कार्यक्रम कव्वाल परिवार कें नीक आर्थिक अवसर उपलब्ध करएबाक प्रयोजन सं सेहो आयोजित भ रहल अछि। इंडिया इंटरनेशनल सेंटर में खुसरो केर कविता-पाठ सेहो हएत।