अपनेक स्वागत अछि।

Monday, March 15, 2010

कंप्यूटर केर सहजता लेल माइक्रोसॉफ्टक पहल

कंप्यूटर सं बेसी सं बेसी लोक कें जोड़ए लेल माइक्रोसॉफ्ट निरन्तर प्रयासरत अछि। आजुक प्रायः सभ अखबार मे छपल खबरि केर अनुसार,माइक्रोसॉफ्ट केर ताजा आविष्कार छैक टेक्स्ट मुक्त यूजर इंटरफेस । मानल जा रहल छैक जे एकर मदति संआब अनपढो सभ कंप्यूटर चला सकत । एकर विकास कें श्रेय जाइत छैक ४१ वर्षीया इंद्राणी मेधी कें। एकर प्रयोग लेल अनपढ लोक सभ कें पहिल बेर कंप्यूटर चलाबए लेल आनक सहयोगक कनेकबे अथवा एकदम्मे जरूरति नहि पड़तैक। एहि कंप्यूटरक सहायता सं कम पढल-लिखल लोक सभ टेक्स्ट रहित यूआई डिजाइन सं आवाज, वीडियो आर ग्राफिक्स कें उपयोग आसानी सं क सकताह । इंद्राणी जी कें एहि इंटरफेस लेल हाथ सं बनाओल गेल अर्ध-अमूर्त कार्टून आर स्थानीय भाषा में ध्वनि केर उपयोग करए पड़लनि। एहिमे माउस केर उपयोग बेसी कएल गेल छैक। किछुए दिन पूर्व,माइक्रोसॉफ्ट हिंदी समेत आन क्षेत्रीय भाषा मे काज आसान करए लेल नव प्रोग्राम लांच कएने छल। ओहू खबरि पर एक नजरिः