अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, March 09, 2010

आधी आबादी डॉट कॉम

(पोर्टल शुरू करैत दिल्ली महिला आयोग केर अध्यक्ष बरखा सिंह। साथ मे छथि पोर्टल केर सीईओ श्वेता देव)
काल्हि महिला दिवस पर ,जनानी सभहक लेल आधी आबादी डॉट कॉम नामकनव वेबसाईट शुरू कएल गेल।हिंदी भाषा केर ई एहन पहिल साइट बताओल जा रहल अछि जे पूर्णतः महिला सभकें समर्पित छैक। एहिमें महिला सभहक लेल सूचना तं अछिए,स्त्रीलोकनि कें समाज सं जोड़ए लेल प्रयास सेहो कएल गेल छैक।

दिल्ली महिला आयोगक अध्यक्ष बरखा सिंह कें कहब छनि जे आइ महिला सभहक लेल पति आ बच्चा केर प्राथमिकता बेसी रहैछ,तें ओ सभ अपन ध्यान नहि राखि पबैत छथि। एहि साईट कें माध्यम सं महिला सभहक लेल डॉक्टर, वकील, काउंसलर सभ उपलब्ध हएत। स्वास्थ्य , खान-पान, रहन-सहन, फैशन, कैरियर, दांपत्य आदि संबंधी जानकारी सेहो भेटत। एतबे नहि, महिला सभ डायरी के रूप में अपन अनुभव लिखए सं ल कए अपन समूह तक केर निर्माण क सकतीह।
(नई दुनिया,दिल्ली मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)