अपनेक स्वागत अछि।

Wednesday, March 10, 2010

कपिलदेव हॉल ऑफ फेम मे

भारत के पूर्व क्रिकेट कप्तान कपिलदेव कें अंतरराष्ट्रीय क्रिकेट परिषद (आईसीसी) केर क्रिकेट हॉल ऑफ फेम में शामिल कएल गेल छन्हि। हाल ऑफ फेम मे, क्रिकेट के पूर्व दिग्गज खिला़ड़ी कें शानदार योगदान आर बेजो़ड़ प्रदर्शन के लेल देल स्थान देल जाइत छैक।कपिलदेवक जन्मछह जनवरी १९५९ कए चंडीगढ में भेल छल आ १९८३ में हुनके कप्तानी मे भारत कें इंग्लैंड में विश्वकप में एकमात्र खिताबी जीत भेटल छल । १६ वर्षक क्रिकेट करिअर में ओ कुल १३१ टेस्ट आर २२५ वनडे खेलने छलाह। कपिलदेव ने एक अक्टूबर १९७८ को पाकिस्तान के खिलाफ क्वेटा में वनडे कॅरिअर केर शुरुआत कएने छलाह आ टेस्ट पदार्पण एकर दू सप्ताह बाद, पाकिस्ताने कें खिलाफ फैसलाबाद में भेल छल।
कपिलदेव संबंधी किछु महत्वपूर्ण सूचना लेल क्लिक करू।
हॉल ऑफ फेम मे आइ धरि शामिल क्रिकेटर लोकनिक संपूर्ण सूची देखए लेल क्लिक करू।