अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, March 13, 2010

कलर्स पर रॉकस्टार

एहि बेर आइपीएल आ संगीत साथ-साथ चलत। कलर्स चैनल पर आइ सं आइपीएल रॉकस्टार कार्यक्रम शुरु भ रहल अछि। कार्यक्रम मे सुखविंदर आ कैलाश खेर कें देख सकब जे विभिन्न रिएलिटी म्यूजिक शो मे प्रतिभागी रहि चुकल 12 गोटे-अमित पॉल,संदीप आचार्य,हर्षदीप कौर,सुमेधा करमाहे,मोहम्मद इरफान,सप्तपर्णा चक्रवर्ती,अंतरा मित्रा,ऋचा त्रिपाठी,अरनब चक्रवर्ती,राहुल सक्सेना आ ऐश्वर्या निगम केर भाग्यक निर्णय करताह। रोचक तथ्य ई जे जज केर पैनल मे शाहरुख खान,प्रीति जिंटा आ शिल्पा शेट्टी कें सेहो देख सकब। कार्यक्रम केर संचालक छथि गायक आ डांसर रैपर हर्द कौर जे पहिल बेर कोनो कार्यक्रमक एंकर बनल छथि। कार्यक्रमक शूटिंग मोहाली,चंडीगढ,जयपुर,अहमदाबाद,मुंबई आ बंगलोर मे हेतैक। एहि कार्यक्रम कें, अपन तरहक पहिल लाइव शो मानल जा रहल छैक। कार्यक्रमक प्रसारण प्रत्येक शनि आ रविकए सांझ मे 7 बजे हएत।