अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, March 18, 2010

फेसबुक बनाम गूगल



सोशल नेटवर्किग साइट फेसबुक आब अमरीका मे सभसं बेसी देखल जा रहल वेबसाइट बनि गेल अछि।  एहि सं पहिने,गूगल कें सभ सं बेसी देखल जाइत रहैक। वेबट्रैकर हिटवाइज कें अनुसार, 13 मार्च केर स्थितिक अनुसार,  फेसबुक अमेरिका में सभसं बेसी देखल गेल साईट बनि गेल। पछिला बरखक तुलना मे फेसबुक पर हिट मे185 फीसदी कें वृद्धि दर्ज कएल गेल छैक जबकि एही दौरान गूगल में सिर्फ 9 फीसदी केर वृद्धि भेल।पछिला किछु महीना सं गूगल कें फेसबुक आर ट्विटर सं लगातार चुनौती भेट रहल छैक।