अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, March 09, 2010

"कहू त"(8) केर परिणाम

"कहू त" श्रृंखला केर आठम प्रश्न छलः
"नव वस्त्र कोन दिन नहि पहिरबाक मान्यता छैक?"
विकल्प छलः
1. रवि
2. सोम
3. बुध
4. शुक्र
50 प्रतिशत मतदातालोकनि रवि कें चुनलनि आ 50 प्रतिशत सोम कें। कपड़ा मूलतः बुध,ब्रैस्पति आ शुक्र दिन पहिरबाक मान्यता छैक। असामान्य परिस्थिति मे,रवि दिन सेहो पहिरल जा सकैत अछि। मुदा सोम दिन किन्नहु नहि। कहबी सेहो छैकः
वस्त्र पहिरी तीन दिन
बुध बृहस्पति शुक्र दिन
हरने खगने रवि दिन
तें,देल गेल प्रश्नक सही उत्तर अछिःसोम
पुनः,नव प्रश्न प्रस्तुत अछि। वोट कए अपन संस्कृति सं जुड़ल ज्ञानक परीक्षण करू आ आनो लोकनि कें एहि मे प्रतिभागी बनए लेल प्रेरित करू।