skip to main |
skip to sidebar
देश कें पहिल सैटेलाइट टीवी लांच

सैटेलाइट के जरिए आब कार्यक्रम सोझे टीवी पर देख सकब जकर क्वालिटी सभसं नीक आर आवाज सेहो साफ रहत।वीडियोकॉन काल्हिआधुनिक तकनीक सं लैस देशक पहिल सैटेलाइट टीवी लांच कएलक। कंपनी डीटीएच सेवा लेल अभिषेक बच्चन कें अपन ब्रांड एंबेसेडर सेहो बनओलक। कंपनी हालहि में अपन डीटीएच सेवा शुरू कएने अछि। सेट टॉप बॉक्स कें साथ कंपनी सैटेलाइट डीवीडी प्लेयर बाजार में लांच कएने छल। डीवीडी प्लेयरे मे सेट टॉप बॉक्स केर सुविधा उपलब्ध कराओल गेल छल। एही सेवा कें आगू ब़ढ़बैत कंपनी सैटेलाइट टीवी अनलक अछि जाहि मे सेटटॉप बॉक्स लगएबाक जरूरत नहि छैक बल्कि टीवीए मे सेट टॉप बॉक्स देल गेल छैक। वीडियोकॉन डीटीएच व्यवसायक लेल भारत बिजनेस चैनल लि. कंपनी स्थापित कएने अछि।