अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, March 09, 2010

विज्ञापन मे अश्लीलता

अश्लीलता विज्ञापनक माध्यम सं सामान बेचबाक प्रयास पर सूचना प्रसारण मंत्रालय तमसाएल अछि। मंत्रालय एहि सिलसिला मे, किछु टीवी चैनल कें कारण बताओ नोटिस भेजने अछि। नोटिस के बाद, टीवी चैनल सभ एहन विज्ञापन कें प्रसारण बंद क देने अछि अथवा ओकरा संशोधित रूप मे प्रसारित क रहल अछि। कतेको चैनल सार्वजनिक रूप सं क्षमा याचना क चुकल छथि तं किछु आन,एहन विज्ञापनों कं वापस लेबा में अपन हित बुझलक।

जाहि प्रमुख विज्ञापन आ चैनल पर मंत्रालय केर गाज गिरल छैक,ओहि मे एमटीवी पर प्रसारित न्यू एएक्साई डिओड्रेंट केर विज्ञापन सेहो छैक। मंत्रालय के निर्देश के बाद चैनल कें तीन दिन क्षमा याचना केर सूचना प्रसारित करए पड़लैक । तहिना, एक्स डार्क टेम्पटेशन डिओड्रेंट केर विज्ञापन प्रसारित करबाक कारणें ईटीवी बांग्ला सहित कतेको चैनल कें नोटिस थमाएल गेल। तखन जा कए चैनल एहि विज्ञापन कें संशोधित कएलक।

वर्जिन मोबाइल केर विज्ञापन तं एतेक अभद्र रहए कि ओकर प्रसारणे वापिस लेबए पड़लैक। एचडीएफसी स्टैंडर्ड लाइफ इंश्योरेंस कें सेहो अपन विज्ञापन लेल मंत्रालय में स्पष्टीकरण देबए पड़ल। रजनीगंधा पान मसाला के विज्ञापन लेल सेहो कतेको चैनल कें नोटिस भेटलैक। कुल मिलाकए,पछिला दू माह मे, सात मामला मे टीवी चैनल कें नोटिस भेजल गेल छैक। एक चैनल कें तं महज एहि लेल नोटिस देल गेलैक कि ओ अपन एक कार्यक्रम के दौरान मुनीर खान नामक व्यक्ति कें बिना कोनो वैज्ञानिक प्रमाण के, गंभीर बीमारी सभहक इलाज कें विज्ञापित करैत छल। ज्ञातव्य जे निजी चैनल सभहक विषय वस्तु केर निगरानी लेल सूचना आ प्रसारण मंत्रालय इलेक्ट्रानिक मीडिया मॉनीटरिंग केंद्र स्थापित कएने अछि।