अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 01, 2010

सूरजकुंड शिल्प मेला आइ सं प्रारंभ


फरीदाबाद में। 15 दिन चलत। एहि वर्ष राजस्थान पर छैक फोकस।

  • विभिन्न राज्यक संस्कृति,लोककला आ संगीत केर प्रदर्शन हएत।

  • ताजिकिस्तान,थाईलैंड,मिस्र,अफगानिस्तान,भूटान आ बंगलादेशक शिल्प प्रदर्शनी सेहो छैक।

  • विभिन्न राज्यक खान-पान उपलब्ध। राजस्थानी दालबाटी चूरमा आ चोखी ढाणी कें मजा ल सकैत छी।

  • 400 सं बेसी दस्तकारक प्रदर्शनी।

  • 11 स्टॉल पर जेवरात,कार्पेट आ मार्बल शो-पीस उपलब्ध।

  • 7 लाख सं बेसी पर्यटक कें अएबाक संभावना।

  • 23 बरख सं आयोजित भ रहल अछि ई मेला।

  • मिस्र के तनोरा आ थाईलैंड के लोकनृत्यक आनंद रोज ल सकैत छी।

  • सांझ छह बजे सं रोज सांस्कृतिक कार्यक्रम।

  • शेखावटी गेट के आगू में,बच्चा सभहक लेल एक पैघ मनोरंजन पार्क स्थापित कएल गेल छैक।

  • 1 फरवरी कए रंगोली प्रतियोगिता,2 फरवरी कए पेंटिंग प्रतियोगिता,3 फरवरी कए निबंध लेखन आ 4 फरवरी कए मेंहदी प्रतियोगिताक आयोजन।

  • 9 फरवरी कए ड्राइंग,10 कए पतंगबाजी आर 11 कए फोटोग्राफी प्रतियोगिता राखल गेल छैक।