अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, December 31, 2009

ई आकाशवाणी दरभंगा अछि। आब अपने लोकनि प्रादेशिक समाचार सुनै जाऊ


जल्दीए,आब अपनें लोकनि आकाशवाणी दरभंगा सं सेहो समाचार सुनि सकब। ज्ञातव्य जे महानिदेशालय 11वीं पंचवर्षीय योजना मे सात क्षेत्रीय समाचार एकांश स्थापित करबाक निर्णय लेने छल जहि में दरभंगा सेहो शामिल छलैक। अझुका हिंदुस्तान में प्रकाशित खबरि के मोताबिक,महानिदेशालय,दरभंगा सं क्षेत्रीय समाचारक प्रसारण कें अनुमति प्रदान क देने अछि। उल्लेखनीय अछि जे 2 फरवरी, 1976 कए दरभंगा मे आकाशवाणी केंद्रक स्थापनाक बादे सं मिथिलावासी एहि ठाम सं मैथिली मे समाचार प्रसारित होयबाक लेल इच्छुक छथि। एहि लेल विभिन्न संगठन सभ सेहो समय-समय पर मांग कएने छल। करीब दू दशक बाद "मैथिली संवाद" नाम सं समाचारक प्रसारण त आरंभ भेल, मुदा एकर प्रसारण पटना सं होईत छल जकरा आकाशवाणी दरभंगा रिले मात्र करैत छल। किएक तं, दरभंगा मे समाचार यूनिट नहि छलैक। समाचार एकांशक स्थापना भ गेलाक कारणें आब खबर एतहि तैयार हेतैक। एही सप्ताह आकाशवाणी पटनाक समाचार एकांशक स्वर्णजयंती कार्यक्रम में,विधान परिषद् सभापति ताराकांत झा सेहो मांग कएने छलथि जे मैथिली में समाचारक अवधि बढाओल जएबाक चाही।