अपनेक स्वागत अछि।

Monday, December 21, 2009

हिंदू स्त्रीलोकनि छथि मुसलमान सं कम हेल्दी

हिंदू स्त्रीलोकनि कद, वजन, पोषण सन-सन स्वास्थ्य मानक केर मामिला में मुसलिम स्त्रीलोकनि सं पछुआएल छथि।मुदा, गर्भ निरोधक उपाय अपनएबाक मामिला में हिंदू, सिख, बौद्ध आ जैन महिलालोकनि मुसलिम स्त्रीलोकनि सं बहुत आगू छथि। ई निष्कर्ष अछि धार्मिक आ भाषायी अल्पसंख्यक सभहक स्थिति संबंधी रंगनाथ मिश्र आयोग के रिपोर्ट के । रिपोर्ट पछिला सप्ताह संसद में राखल गेल छल। न्यायमूर्ति रंगनाथ मिश्रक उद्देश्य धार्मिक अल्पसंख्यक सभहक पिछड़ापन के उजागर करैत शिक्षा आ सरकारी नौकरी में ओकरा सभहक लेल आरक्षण के उपाय करब छल। में सबसं कम शिशु मृत्यु दर ईसाई सभ में छैक। रिपोर्ट में कहल गेल छैक जे हिंदू में शिशु मृत्यु दर सबसं बेसी 77.1 प्रतिशत छैक। मुसलिम, ईसाई, सिख, जैन आ बौद्ध में ई दर बहुत कम छैक। शिशु मृत्यु दर मुसलमान में 58.8, ईसाई में 49.2 आ सिख में 53.3 फीसदी छैक। रिपोर्ट के अनुसार, सिख महिलालोकनिक कद सबसं बेसी आ हिंदू स्त्रीलोकनिक औसत कद 151.1 सेमी छैक। मुसलिम महिला में ई 151.5 सेमी सं कम छैक। सबसं पैघ औसत कद 155.0 से.मी. सिख स्त्रीलोकनिक छनि। जैन महिला के औसत कद 153.6 आ ईसाई में 152.1 से.मी. छैक। रिपोर्ट में कहल गेल छैक जे 49.2 प्रतिशत हिंदू महिलालोकनि गर्भ निरोधक के उपाय करैत छथि। मुसलिम महिलालोकनि में ई आंकड़ा सिर्फ़ 37 प्रतिशत छैक। 36.2 प्रतिशत हिंदू महिला आ 2.1 प्रतिशत हिंदू पुरुष नसबंदी करबैत छथि। मुसलमान में 19.6 प्रतिशत महिला आ 0.8 प्रतिशत पुरुष नसबंदी करबैत छथि । रिपोर्ट में कहल गेल छैक जे दू जनगणना के बीच हिंदू सभहक आबादी कम भेल छैक आ मुसलिम अल्पसंख्यक सभहक आबादी में इजाफ़ा भेल छैक। ईसाई, सिख, बौद्ध आ जैनी सभहक आबादी जस-के-तस छैक । आयोग के मोताबिक, 1991 आ 2001 केर जनगणना के अनुसार हिंदू आबादी 82.0 फीसदी सं घटि कए 80.5 प्रतिशत भ गेल छैक। मुसलमान के आबादी 12.1 प्रतिशत सं बढ़ि कए 13.4 प्रतिशत भ गेल। ईसाई आबादी 2.3 प्रतिशत, सिख आबादी 1.9 प्रतिशत, बौद्ध 0.8 प्रतिशत आ जैन आबादी 0.4 प्रतिशत पर कायम छैक। हिंदू स्त्रीलोकनि सर्वाधिक कुपोषण के जोखिम में छथि। औसत वजन के मामिलो में, मुसलिम महिलालोकनि हिंदू महिला सभ के पाछू छोड़ि देने छथि। जैन महिला एहि मामिला में सबसं आगू छथि। हिंदू महिलालोकनिक औसत शारीरिक वजन कद के मुकाबले 20.1 किलो छैक। मुसलिम महिलालोकनिक लेल ई आंकड़ा 20.5 और जैन महिला के लेल 23.4 किलो छैक। हिंदू में 54.91 प्रतिशत आ मुसलमान में 65.31 प्रतिशत बच्चा प्राइमरी स्तर के शिक्षा हासिल करैत अछि। परन्तु,हिंदू में स्नातक करनिहारक प्रतिशत 7.01 छैक, जबकि मुसलमानों में ई प्रतिशत 3.6 मात्र छैक। प्राइमरी से स्नातक जाएबला में जैन वर्ग सबसं आगू छैक। जैन समुदाय के 29.51 प्रतिशत बच्चा प्राइमरी तक जाइत छैक आ 21.47 प्रतिशत स्नातक तक पहुंचैत छैक।
(प्रभात खबर,21 दिसम्बर,2009 में छपल रिपोर्ट पर आधारित)