अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, December 15, 2009

अगिला साल सं प्रत्येक जिला में सरस मेला

राष्ट्रीय सहारा केर दिनांक 15 दिसम्बर,2009 केर पटना संस्करण में प्रकाशित खबरि पर जं भरोस कएल जाए,त ग्रामीण विकास विभाग के प्रधान सचिव विजय प्रकाश सरस मेला केर समाप्ति पर घोषणा कएलनि जे परूकां साल सं प्रत्येक जिला में ई मेला लागत। एहि तरहक मेला सं स्वरोजगार सं जुड़ल लोकनि कें उत्साहवर्द्धन आ लोक संस्कृति केर विकास होइत छैक। ओ कहलनि जे गांधी मैदान में पहिल बेर लागल एहि मेला सं विक्रेतालोकनिक मनोबल बढ़ल छैक । लोक संस्कृति के सेहो बढ़ावा भेटैत छैक। तें,सरकार स्वरोजगार से जुड़े लोगों के उत्साहवर्द्धन लेल समय-समय पर एहि तरहक मेला के आयोजन करैत रहत। एहि बेर मेला में करीब एक करोड़ बत्तीस लाख रूपया के सामान बिकल, जे मेला के लेल शुभ संकेत अछि।

एही विषय पर दैनिक हिंदुस्तान,पटना में 15 दिसम्बर,2009 कए प्रकाशित खबरि देखूः