अपनेक स्वागत अछि।

Sunday, December 20, 2009

विद्यापति स्मृति पर्वः मिथिलांचलक विकास मोन पड़लनि सभ के


आपसी सहयोगक बिनु मिथिलांचलक विकास संभव नहिं अछि। एहि लेल सभ कें एकजुट भ कए सहयोगक भावना सं काज करए पड़त। महाकवि विद्यापति के आदर्श पर चलिए कए मिथिलांचल के विकास हएत। ई कहब रहनि बिहार विधान परिषद के सभापति पं. ताराकांत झा के । ओ मिथिला कालोनी में आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व के उद्घाटन अवसर पर आयोजित समारोह में बजैत छलाह। कहलनि जे युवा पीढ़ी के सहयोग आ आपसी सद्भाव केर संग मिथिलांचल के विकास लेल आगू अएबाक चाही। एही अवसर पर विधान पार्षद संजय झा कहलनि जे मिथिलांचल के विकासक लेल राज्य सरकार कार्य क रहल छैक। हुनका चारू कात विकास झलकैत छलनि। बजलाह जे जरूरत छैक आपसी सहयोग सं कार्य कएल जाए आ मिथिला के विषय में सोचल जाए। श्री सुलभ कहलनि जे विद्यापति मिथिला के हृदय में बसल छथि। सभा के अनिल पाठक, विधायक आशा सिन्हा, तृप्ति नारायण झा सेहो संबोधित कएलनि। एहि अवसर पर रामेश्वर झा आ शंकरानन्द मिश्र के सम्मानित कएल गेल। अविनाश चन्द्र मिश्र, प्रो. ताराकांत मिश्र, प्रेमचन्द मिश्र, गुणानन्द झा, पूर्व आईएएस अधिकारी बच्चा ठाकुर समेत आनो गणमान्य लोकनि उपस्थित छलाह। सभा के अध्यक्षता विधायक बालेश्वर सिंह भारती आ मंच संचालन प्रो. ललन झा ने किया। सभ केओ मिथिलांचन के विकासक संकल्प लेलनि। देखा चाही,एहि बेरक संकल्प पछिला संकल्प सभ सं फराक होईत छैक आ कि.........
बतबैत चली जे एहि आयोजन में महाकवि के श्रद्धांजलि, मिथिला विभूति सम्मान, पुरस्कार प्रदान, कवि सम्मेलन, विचार-गोष्ठी, गीत, संगीत, नाटक, हस्तकला प्रदर्शनी, आनंद मेला आ बाल मेला आयोजित कएल जाएत। विभूति सम्मान डा. अमरेश पाठक (मैथिली साहित्य), डा. किशोर नाथ झा (संस्कृत साहित्य), न्यायमूर्ति एसएन झा (विशिष्ठ अवदान), कौशल कुमार दास (नाटक), शांति देवी (शिल्प कला) के देल जेतनि। एकर अतिरिक्त, डा. वासुकीनाथ झा के चेतना सेवी सम्मान, डा. प्रेम शंकर सिंह के यात्री चेतना सम्मान, कीर्तिनारायण मिश्र साहित्य सम्मान डा. उदय नारायण सिंह नचिकेता के देल जेतनि । कवि सम्मेलन में मैथिली के ख्याति प्राप्त कविलोकनिक हिस्सेदारी रहत। विचार गोष्ठी में समकालीन मैथिली कथा : स्थिति ओ अपेक्षा विषय पर चर्चा हएत। प्रथम दिनक समारोह विद्यापति भवन आ दोसर तथा तेसर दिनक आयोजन बुद्ध मार्ग स्थित अभियंत्रण भवन छैक। दोसर दिनक कार्यक्रमक उद्घाटन पूर्व मुख्यमंत्री डा. जगन्नाथ मिश्र करताह। डा. अरविन्द अक्कू लिखित एवं कौशल किशोर दास निर्देशित तेसर घर नाटक केर मंचन हएत। आनंद मेला में मिथिलाक पकमान आ व्यंजनक व्यवस्था सेहो रहतैक।
(दैनिक जागरण,पटना,20 दिसम्बर,2009 में प्रकाशित रिपोर्ट पर आधारित)